गृहरक्षक’क आंदोलन जारी, लगातार चारिम दिन धरना प्रदर्शन

    0
    295

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: जिलाक गृहरक्षक अप्पन मांगकें लए चारिम दिन सेहो आंदोलन जारी राखल गेल। बिहार रक्षा वाहिनी स्वयंसेवक संघके बैनर तर जिला समादेष्टा कार्यालयके समक्ष ई प्रदर्शन कएल जा रहल अछि। संघके जिलाध्यक्ष अरविंद कुमार सिंह कहलनि जे, सरकार जा धरि मांगकें पूरा नहि करत, आंदोलन जारी रहत।

    प्रथम चरणमे बिहारक तमाम गृहरक्षक पटना गर्दनीबागमे एकत्रित भए धरना दैत सरकारकें अगाह केने छल। अहिकें बावजूद एखन धरि सरकार गृहरक्षककें मांगक प्रति कारगर कदम नहि उठेलक अछि। सरकारकें सर्वोच्च व उच्च न्यायालय द्वारा देल गेल फैसलाकें अक्षरश: लागू करबाक चाही।

    ओ कहलनि जे, दोसर चरणक आंदोलन 15 मार्च तक जारी रहत। अहिकें बाद गृहरक्षक रायफल व गोली जमाकय असहयोग आंदोलन करबा पर विचार करत।