बिहार मे आय डॉक्टरक सामूहिक हड़ताल, आपातकालीन सेवा रहत बहाल

    0
    268

    पटना, मिथिला मिरर: हाल के दिन मे डॉक्टर पर भय रहल हमला के खिलाफ आय शनिदिन बिहारक डॉक्टर सामूहिक हड़ताल करबाक फैसला केलनि, जाहि स समुच्च बिहार मे आय मरीज के परेशानीक सामना करय पड़ि सकैया। अहि हड़तालक घोषणा आईएमए आ भासा संयुक्त रूप स केलक अछि।

    आईएमए के अध्यक्ष डॉ. डीपी सिंह कहलनि जे, हमलाक खिलाफ राज्य भारी के डॉक्टर 20 अगस्त क सरकारी अस्पताल, मेडिकल कॉलेज समेत निजी नर्सिंग होम मे ओपीडी सेवा के पूर्ण रुपे बंद रखताह। ओ कहलनि जे, डॉक्टरक अहि हड़ताल स इमरजेंसी सेवा अप्रभावित रहत, जाहि मे मरीज के चिकित्सीय सुविधा उपलब्ध करोल जायत।

    आईएमए के अनुसार 28 जुलाई स 18 अगस्तक बीच डाक्टर पर दस स अधिक हमला भेल अछि।जोकीहाट अररिया, नौबतपुर पटना, बिहटा पटना, नालंदा मेडिकल कॉलेज तथा अस्पताल, संग्रामपुर, मुजफ्फरपुर गायघाट, हथुआ गोपालगंज, कहलगांव, मायागंज आदि मे डॉक्टर पर हमला भेल।