महिनो सं फरार चलि रहल प्रधानाध्यापक गिरफ्तार

    0
    272

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: बेनीपुर बहेड़ा थाना क्षेत्रकें जयन्तिपुर उत्क्रमित माध्यमिक विद्यालयके महिनो सं फरार चलि रहल प्रधानाध्यापक राम प्रवेश साफीकें बितल राति गिरफ्तार कय जेल पठा देल गेल। पुलिस सूत्रक अनुसार शिक्षक साफी पहिने पत्नी रहैत दोसर विवाह कए लेलनि। हुनका खिलाफ पहिल पत्नी न्यायालयमे एकटा मामला दर्ज करने छल, न्यायालय द्वारा महीनो पूर्व वारंट निर्गत भेल छल, मुदा ओ फरार भय गेल छलाह।

    अहि बीच शुक्रदिन विद्यालयके एकटा सहायक शिक्षकक संग ओ मारिपीट कय केने छलाह। इहो मामला उच्चाधिकारी तक पहुंच गेल छल। उक्त घटनाकें लय शुक्रदिन साँझ मे मामला दर्ज करेबाक लेल थाना पहुंचल साफी के पुलिस गिरफ्तार कय जेल पठा देलक।