मधुबनी मे अलग-अलग सड़क हादसा मे तीन घायल

    0
    285

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी के झंझारपुर आर एस ओपी के अलग-अलग जगह पर भेल मोटरसाइकिल सड़क हादसा मे तीन गोटे घायल भय गेल अछि। तीनू घायल के इलाजक लेल अनुमंडलीय अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि। बताओल जा रहल अछि जे, आर एस ओपी के दीप गाम निवासी देव नारायण मंडल के पुत्र राजन कुमार मंडल व रामाशीष मंडल के पुत्र सुधाकर मंडल मोटरसाइकिल सं घर जा रहल छल।

    शांतिनाथ महादेव मन्दिर के समीप एकटा पार्सल वैन मोटरसाइकिल मे टक्कर मारि देलक। जाहि मे दूनू घायल भय गेल। झन कि मोटरसाइकिल क्षतिग्रस्त भय गेल। अहि बीच मौका पर आर एस ओपी प्रभारी मदन मोहन प्रसाद व लखनौर के बीडीओ पहुंचल छलाह। वैन आ मोटरसाइकिल के थाना पर आनल गेल।

    एम्हर बेहट गाम मे एकटा मोटरसाइकिल सवार राहगीर के ठोकर मारि जख्मी कय देलक। घायल राहगीर बेहट निवासी बौकु मुखियाक पुत्र मनोज मुखिया बताओल जाइत अछि। घायल के इलाजक लेल अनुमंडलीय अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि।