बिहार मे लगातार भय रहल पत्रकारक हत्या पर ‘रिपोर्टर्स एसोसिएशन’ जतौलक चिंता

    0
    262

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे पत्रकारक हत्या भय रहल अछि। दबंग एवं अपराधी प्रवृतिक लोक हमेशा पत्रकार के धमका रहल अछि। बावजूद अहि के बिहार सरकार पत्रकारक सुरक्षा क सवाल पर चूप बैसल अछि। उक्त बात बुधदिन पटना मे आयोजित ऑल इंडिया रिपोर्टर्स एसोसिएशन राज्य कमिटीक बैसक के संबोधित करैत एसोसिएशन के प्रदेश अध्यक्ष सुमन कुमार मिश्र कहलनि।

    ओ कहलनि जे, सिवानक पत्रकार राजदेव रंजनक हत्याक बाद स सूबे मे पत्रकार पर हमला लगातार जारी अछि। सासाराम मे अपराधी सब पत्रकार धर्मेन्द्र सिंहक गोली मारिकय हत्या कय देलक। गया, कैमूर, जहानाबाद, सासाराम, पटना, वैशाली, बगहा एवं शेखपुरा जिला मे अहि वर्ष पत्रकार पर हमला भेल, मुदा अफसोसक विषय अछि जे, राजदेव रंजन हत्याकांड के अलावा प्रदेश सरकारक दिस सं एखन धरि अहि मामला मे कोनो ठोस पहल नहि कायल गेल अछि।

    ओ कहलनि जे, यदि एहेन स्थिति बनल रहल त बिहार मे लोकतंत्र खतरा मे पड़ि सकैत अछि। प्रदेश अध्यक्ष लोकतंत्रक चारिम स्तंभक रक्षा एवं अप्पन अधिकारक प्राप्त करबाक लेल सूबेक पत्रकार सं आइरा’क बैनर तर संगठित हेबाक आह्वान केलनि। ओ कहलनि जे, आइरा एसोसिएशन के संचालन एवं प्रेस कार्ड जारी करबाक लेल पत्रकार सं ने कोनो शुल्क लेत अछि आ ने कोनो चंदा।

    बैसक मे एकटा प्रस्ताव पारित कय बिहार मे पत्रकार सुरक्षा कानून लागू करेबाक लेल पूर्व स चलि रहल आंदोलन के चरणबद्ध ढंग सं आगू बढेबाक निर्णय लेल गेल। बैसक मे एसोसिएशन के मजबूत बनेबाक, अधिक स अधिक पत्रकार के एसोसिएशन स जोड़बाक लेल सदस्यता अभियान तेज करबाक, पत्रकार के एसोसिएशन दिस स निःशुल्क प्रेस कार्ड प्रदान करबाक एवं आगामी 5 मार्च क आयोजित होबय वला एसोसिएशन के राज्य स्तरीय स्थापना दिवस समारोहक सफल बनेबाक निर्णय लेल गेल।