मुजफ्फरपुर लॉ कॉलेज मे फीस बढ़ेलाक विरोध मे सड़क पर उतरल छात्र

    0
    279

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहारक मुजफ्फरपुर मे एसकेजे लॉ कॉलेजक छात्र-छात्रा सब मनमाना फीस बढ़ोतरीक विरोध मे सड़क जाम कय प्रदर्शन केलक अछि। छात्र सब कॉलेज प्रबंधन स बढ़ल शुल्क के वापस लेबा तक आन्दोलन जारी रखबाक फैसला केलक अछि।

    कॉलेज प्रबंधन प्री-लॉ के कोर्स मे तीन हजारक बढोतरी प्रति वर्ष के दर सं केलक अछि। विरोध कय रहल छात्रक कहब अछि जे, जे छात्र पांच वर्षीय पाठ्यक्रम मे पहिने नामांकन लय लेने अछि ओकरो फीस के जबरदस्ती बढ़ाओल गेल अछि।

    छात्रक विरोध के कारण कलमबाग चौक पर घंटो आवागमन बाधित रहल। मौका पर पहुंचल काजी मुहम्मदपुर पुलिस सं सेहो छात्रक नोंक-झोंक भेल। पुलिस के समझेलाक बाद छात्र सड़क जाम हटउलक, मुदा आगू विरोध जारी रखबाक फैसला लेलक अछि।