शिक्षक द्वारा मूल्यांकन काजक बहिष्कार जारी

    0
    279

    मधुबनी, मिथिला मिरर: वित्तरहित शिक्षा संयुक्त संघर्ष मोर्चा जिला इकाईकें तत्वावधानमे पांच सूत्री मांगक लेल गत बृहस्पति दिन सं जारी इंटरक उत्तरपुस्तिका मूल्यांकन काजक बहिष्कार जिलाध्यक्ष श्यामनंद तिवारीकें नेतृत्वमे नवम दिन सेहो जारी रहल। अहि मौका पर शिक्षक सब कहलनि जे, सरकार यदि हमार मांगकें नहि मानत त संघ द्वारा उग्र आंदोलन कएल जाएत।

    शिक्षक सब साँझ धरि वाटसन स्कूलक प्रांगणमे सरकारकें खिलाफ नारेबाजी करैत धरना पर रहलाह। मौका पर प्रांन्तीय उपाध्यक्ष डॉ. शत्रुघ्न प्रसाद यादव, अध्यक्ष प्रो. श्यामानंद तिवारी, सचिव प्रो. लक्ष्मी नारायण राय, कोषाध्यक्ष प्रो. अशोक कुमार, संयुक्त सचिव वागिस कांत झा, प्रो. मनोज कुमार शर्मा सहित अन्य शिक्षक मौजूद छलाह।