मठ सं मूर्ति चोरी मामला मे खुलासा, महंत निकलल चोर

    0
    280

    बेगूसराय, मिथिला मिरर: बेगूसराय पुलिस के शुक्रदिन बड्ड पैघ सफलता हाथ लागल। किछु दिन पहिने मठ सं चोरी भेल राम जानकीक प्राचीन मूर्तिक संग चोर पुलिसक हाथ लागल। पुलिस साजिस के तहत मठ’क महंत के मूर्तिक संग गिरफ्तार केलक अछि।

    ज्ञात हो कि घटना खोदावंदपुर थाना क्षेत्र मे स्थित द्वारिका मठक अछि। जतय 13 नवम्बर क राति मे अज्ञात चोर द्वारा राम जानकीक मूर्ति चोरी भय गेल छल। अहि संबंध मे जानकारी दैत एसपी रंजीत कुमार मिश्रा कहलनि जे, मूर्तिक चोरी ओहि मठक महंत राम विनय शरण केने छल। जकरा पुलिस गिरफ्तार कय लेलक अछि।

    अहि संबंध मे जानकारी दैत एसपी रंजीत कुमार मिश्रा कहलनि जे, चोरी एकटा साजिश के तहत कायल गेल छल। दरअसल मठ मे पूजा-पाठक लेल लोकक आबाजाही बहुत कम रहैत अछि। ताहि दुआरे महंथ सोचलनि जे, किछु एहेन कायल जाय जाहि सं लोक एतय एनाय बंद कय दय, आ मठ स सटल साढ़े तीन कट्ठाक बेशकीमती जमीन पर हमर कब्जा भय जाए।