मुख्यमंत्री के गेलाक बाद ‘डीएमसीएच’ के हाल पुनः मूषको भवः

    0
    325

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: मुख्यमंत्री के आगमन पर दरभंगा के डीएमसीएच परिसर सं गंदगीक अम्बार हटा देल गेल छल। कर्मचारी काजक प्रति तत्पर छलाह। सब व्यवस्थागत चलैत छल। मुदा मुख्यमंत्रीक गेलाक बाद पुनः ओहिना।

    बेगूसराय पुलिस लाइनक एकटा जवान ट्रीटमेंट के लेल रेफर भय क डीएमसीएच पहुंचलाह त पहिने रसीदक लेल काउंटर पर घंटो इंतज़ार करय पड़लनि, कियैक त ड्यूटी पर तैनात मैडम काउंटर छोड़ि क टहलि-टहलि क मोबाइल पर लंबा बातचीत मे लागल छलीह। मजबूरी मे जहन रसीद काटलनि त झुंझलाहट मे रेफर रसीद देबाक वाबजूद नाम गलत लिखि देलनि।

    बाद मे जहन स्ट्रेचर खींचबा के बारी आयल त स्ट्रेचर बॉय सूटबूट लगा कय आराम फरमा रहल छलाह।जाहि के बाद परिजन के स्वं स्ट्रेचर खीचय पड़ल। परिजन के कहब छन्हि जे, डीएमसीएच जेहन अस्पतालक जहन ई हाल अछि त दोसर के की होयत। एतुका इलाज़ आ व्यवस्था भगवाने भरोसे अछि।