पंद्रह साल लालू बनाम नीतीश केँ मुद्दा बना चुनाव लड़वाक तैयारी मे जदयू, वर्चुअल रैली मे करीब 3 घंटा मुख्यमंत्रीक भाषण

0
696

पटना, मिथिला मिररः बिहार विधानसभा चुनाव 2020क सरगर्मी आब धीरे-धीरे जोर पकड़ने जा रहल अछि। एनडीएक प्रमुख घटक दल जदयू पटना मे निश्चिय संवाद केँ माध्यम सऽ चुनावी रैलीक शुरूआत कए देलनि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स्पष्ट कए देलनि जे आगामी विधानसभा चुनाव मे जदयू लालू-राबड़ीक पंद्रह साल बनाम नीतीशक पंद्रह सालक मुद्दा पर चुनाव मैदान मे उतारता। लालू राजक स्मरण कराबैत नीतीश कुमार कहलनि जे अपने सभकेँ स्मरण हैत जे 7 बजे सांझक बात लोक चलैत नहि छल। लोककेँ उठा लेल जाइत छलैक। किछु गोटे अपना गाड़ी मे सरेआम हथियार लहराबैत चलैत छल मुदा आब समय बदलि गेल छैक। मुख्यमंत्री कहलनि जे बिहारक प्रत्येक गाम मे आब बिजली आबि गेल अछि आ आब लालटेनक कोनो काज नहि छैक। मुख्यमंत्री कहलनि ये युवा वर्ग केँ एहि बात सऽ अवगत करेनाइ बहुत बेसी जरूरी अछि जे पंद्रह साल पहिने बिहारक की स्थिति छल। अगर युवा ओहि समय सऽ परिचित हेताह तऽ अगत लोकक संग चुनाव मे जेबा सऽ परहेज करताह।
कोरोना महामारी पर स्पष्टीकरण दैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि जे कोरोना संक्रमित मरीजक लेल पर्याप्त बेड, आॅक्सिजन, वेंटिलेटरक व्यवस्था अछि। जतेक व्यवस्था अछि ओकर पूरा इस्तेमाल करबाक एखन धरि अवसर नहि भेटल अछि। मुख्यमंत्री कहलनि जे बिहार मे प्रतिदिनक हिसाब सऽ डेढ़ लाख सऽ अधिक जांच कएल जा रहल अछि। प्रत्येक दस लाख जनसंख्या मे 32, 233 जांच कएल जा रहल अछि।
मुस्लिम मतदाता केँ ध्यान मे राखैत मुख्यमंत्री कहलनि जे सरकार कब्रिस्तानक घेराबंदी करौलक अछि। 8064 कब्रिस्तान मे सऽ 6299 केँ घेराबंदी करा देल अछि। मुख्यंत्री कहलनि जे सरकार 226 गोट मंदिरक पूर्ण घेरेबा सेहो दियौलक अछि, 112 पर कार्य प्रगति पर छैक आ 48 गोट प्रक्रिया मे अछि।
मुख्यमंत्री कहलनि जे आब सरकार घर-घर बिजली पहुंचेलाक बाद प्रत्येक खेत मे धरि सिंचाई केँ लेल बिजली मुहैया करेबाक कार्य मे जुटल अछि। एहि योजनाक तहत 42 लाख किसान केँ बिजलीक कनेक्शन देल गेल अछि। मुख्यमंत्री कहलनि जे पहिने डीजल सऽ पटौनी होइत छल जाहि पर प्रति लीटर 60 रूपया सब्सिडी देल जाइत छल मुदा आब बिजली सऽ पटौनी मे खर्च 95 फीसद कम भए जाएत।
मुख्यमंत्री कहलनि जे कोरोना काल मे मुख्यमंत्री राहत कोष सऽ 20 लाख 95 हजार व्यक्ति केँ 1000 रूपयाक सहायता देल गेल। विशेष ट्रेन चलाओल गेल जाहि मे लाखोंक संख्या मे बिहारी वापस अपना घर एलाह। जे सभी अत्यधिक संक्रमित बला शहर (दिल्ली, मुंबई, चेन्नई, गुजरात ओ अन्य शहर) सऽ एलाह हुनका लेल क्वारंटीन सेंटर बनाओल गेल। 15 लाख सऽ अधिक व्यक्ति केँ क्वारंटीन सेंटर मे राखल गेल जखन कि अन्य लोककेँ होम आइसोलेशन मे राखल गेलनि। राज्य सरकार प्रति व्यक्ति 5300 टका हिनका लोकनि मे खर्च केलक। मुख्यमंत्री कहलनि जे कोरोना सऽ स्थिति भयावह भए रहल अछि मुदा बिहारक स्थिति मे लगातार सुधार देखल जा रहल अछि। ठीक भए रहल लोक मे सर्वाधिक संख्या एखन बिहारक अछि जाहिठाम 88.24 प्रतिशत व्यक्ति ठीक भए रहल छथि।
मुख्यमंत्री कहलनि जे कोरोना भेल नुकसानक बीच बाढ़ि सेहो कमर तोड़बाक केलक। राज्यक 16 जिला बाढ़ि सँ प्रभावित भए गेल। सरकार तत्काल राहत पहुंचेलक, 5 लाख सऽ अधिक लोक केँ सुरक्षित जगह पर लए जाएल गेल। नीतीश कहलनि जे की पहिने एहन स्थिति छल? मुख्यमंत्री कहलनि जे जखन हमरा सत्ता भेटल तऽ हम 2006 मे एकटा एसओपी बनेलहुँ।
सड़कक स्थितिक जिक्र करैत मुख्यमंत्री कहला जे पहिने सड़क मे गड्ढ़ा छल कि गड्ढ़ा मे सड़क से नहि पता चलैत छलैक मुदा आब बिहार मे सड़कक जाल बिछा देल गेल अछि।