लोक अदालत मे कायल गेल 1712 गोट मामलाक निष्पादन

    0
    270

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: जिला विधिक सेवा प्राधिकार द्वारा समस्तीपुर न्यायालय मे लगाओल गेल लोक अदालत मे 1712 मामलाक निपटारा कायल गेल। जाहि के अन्तर्गत 9 करोड़ 87 लाख 6 हजार 904 रुपैयाक वसूली कायल गेल। व्यवहार न्यायालय परिसर मे जिला एवं सत्र न्यायाधीश सह जिला विधिक सेवा प्राधिकारक अध्यक्ष सुबोध कुमार श्रीवास्तवक अध्यक्षता मे शनिदिन राष्ट्रीय लोक अदालत आयोजित कायल गेल छल।

    अदालत मे आपसी समझौताक आधार पर कुल 775 मामलाक निष्पादन भेल। मौक़ा पर 7 करोड़ 5 लाख 28 हजार 462 रुपैयाक वसूली कायल गेल। अहि मामलाक निष्पादनक लेल दस गोट पीठक गठन कायल गेल छल। अहि के पूर्व दीप प्रज्ज्वलित कय जिला न्यायाधीश द्वारा संयुक्त रूप सं राष्ट्रीय लोक अदालतक उद्घाटन कायल गेल।

    अहि अवसर पर जिलाधिकारी प्रणव कुमार, पुलिस अधीक्षक नवल किशोर सिंह, सत्र न्यायाधीश हरेंद्र नाथ, मो. इरशाद अली, जिला विधिक सेवा प्राधिकारक सचिव संजय कुमार उपाध्याय, मुख्य न्यायिक दंडाधिकारी राज कुमार प्रसाद, स्थायी लोक अदालतक अध्यक्ष अशोक कुमार श्रीवास्तव, प्रभारी न्यायाधीश विवेक भारद्वाज सहित इत्यादि लोक उपस्थित छलाह।