दिल्ली मे बिहार भाजपा कोर ग्रुपक बैसार आइ, लोस सीट पर हैत चर्चा

0
22

दिल्ली, मिथिला मिरर- आगामी लोकसभा चुनावक तैयारी शुरू भऽ चुकल अछि आ प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी दू बेर बिहार मे परोक्ष रूप सँ चुनावी जनसभाकेँ संबोधित सेहो कऽ चुकलाह। हालांकि ई आदर्श आचार संहिता सँ पूर्व होयबला शिलान्यास आ उद्घाटनक कार्यक्रम छल मुदा ओहि कार्यक्रमक सेहो केन्द्रबिन्दु इहै छल जे एहि सँ चुनावी नफा-नुकसानक आंकलन सेहो भऽ सकय। जेना की अपने सभ जनैत छी जे राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधन अर्थात एनडीए आ दोसर दिस इंडिया गठबंधन अपन-अपन सहयोगीक संग चुनाव मैदान मे उतरबाक तैयारी जे जुटी गेल अछि आ दुनू गठबंधन मे सीटक बंटबार पर सेहो काज चलि रहल छैक। कतहु एहि पर फैसला भऽ चुकल तँ कतहु एखनो सीटक बंटवारा पर घटक दल मे सहमति हैब बांकी अछि।
भारतीय जनता पार्टी 195 गोट उम्मीदवारक अपन पहिल सूची जारी कऽ देलक मुदा सभक ध्यान बिहार पर टिकल छैक कारण एहिठामक बदलल राजनीतिक माहौल मे सीटक बंटवारा कोना हैत ई एकटा रोमांचक खबरि बनि बाहर आबि रहल अछि। जखन जदयू आ नीतीश कुमार एनडीएक हिस्सा नहि छलाह तखन एहिठाम एनडीए मे सीटक बंटबारा बहुत सहज छल आ भाजपाक संग उपेन्द्र कुशवाहा, जीतनराम मांझी आ लोजपा दुनू गुट सेहो एहि मे बहुत सहजता सँ अपन भविष्य देख रहल छल मुदा नीतीश कुमारक आगमनक बाद आब एनडीए मे सेहो टिकटक बंटबारा पर पेंच फसल साफ नजरि आबि रहल अछि।
एहि बातक लेल दिल्ली मे भाजपाक बिहार इकाइक बैसार केन्द्रीय नेतृत्वक संग दिल्ली मे आइ होमय जा रहल अछि। पैछला लोकसभा चुनाव मे भाजपा-जदयू 17-17 एवं लोजपा 6 सीट पर चुनाव लड़ने छल आ ओहि मे गठबंघन केँ 39 सीट पर विजय भेल छल मुदा एहि बेर उपेन्द्र कुशवाहा, जीतन राम मांझी, लोजपा दुनू गुट, जदयू आ भाजपा मे कोना टिकटक बंटबारा कऽ समन्वय कयल जायत ई एकटा यक्ष प्रश्न अछि। आब ई देखब दिलचस्प हैत जे बिहारक इकाइक संग केन्द्रीय समिति कोन तरहक निर्णय लैत अछि।