पूर्णिया हवाइ अड्डा सँ जल्दिए शुरू हैत विमानक परिचालन, केन्द्रीय रक्षा राज्य मंत्रीक बयान

0
74

मिथिला मिरर, पूर्णियाः पटना, गया, दरभंगाक बाद आब बिहारक चारिम आ मिथिलाक दोसर हवाइ अड्डा पूर्णिया हवाइ अड्डा सँ जल्दिए उड़ान शुरू हैत एहि बातक चर्चा एक बेर फेर सँ जोर पकड़ि रहल अछि। एकटा कार्यक्रम मे पूर्णिया पहुंचल रक्षा राज्य मंत्री अजय भट्ट केर एहि बयानक बाद फेर सँ एहि बातक उम्मीद बढ़ि गेल जे पूर्णिया आब जल्दिए उड़ान भरबाक लेल तैयार भऽ जैत। सर्किट हाउस मे संवाददाता सँ बातचीत करैत केन्द्रीय रक्षा राज्य मंत्री अजय भट्ट कहलनि जे प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक अगुआइ बला सरकार मे काजक गायरंटी लेल जायत छैक आ ओहि केँ देशक चहुमुखी विकास चारूदिस दृष्टिपात भऽ रहल अछि।
अजय भट्ट कहलनि जे उड़ान योजना प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक सभसँ महत्वपूर्ण योजना मे सँ एक अछि। प्रधानमंत्री सार्वजनिक रूप सँ एहि बातक चर्चा करैत छथि जे देश मे हवाइ चप्पल बला सेहो हवाइ यात्रा कऽ सकैत छथि, सरकार एहि लेल सतत प्रयत्नशील अछि। एतबे नहि मंत्री कहलनि जे जँ पूर्णिया हवाइ अड्डा सँ विमानक परिचालन शुरू हैत आ विमान परिचालन घाटा मे जाइत अछि तँ ओकर क्षतिपूर्ति सरकार करत। जँ विमानक कुल क्षमता 50 सीटक छैक आ मात्र 5 गोट यात्री ओहि दिन यात्रा करैत अछि तँ बांकी यात्रीक किराया सरकार बहन करत आ सरकार तीन साल तक क्षतिपूर्ति करबाक लेल कृतसंकल्पित अछि।
अपने केँ जनतब हैत जे 2016-17 मे बिहार उड़ान योजना मे शामिल होयबाक लेल तैयार भेल छल आ ओकरा बाद दरभंगा आ पूर्णिया हवाइ अड्डा सँ हवाइ परिचालक बात सामने आयल छल मुदा दरभंगा तँ 08 नवंबर 2020 सँ उड़ान भरब शुरू कऽ देलक मुदा पूर्णिया एखनो अधर मे लटकल अछि। हालांकि पूर्णिया हवाइ अड्डा पर काज चलि रहल अछि आ गाहे-बगाहे उड़ान शुरू होयबाक बात सेहो सोंझा आबैत रहैत अछि। आब देखबाक चाही जे केन्द्रीय रक्षा राज्य मंत्रीक बयान मे कतेक सत्यता अछि से अबै बला समय मे पता चलत। अपन केँ बता दी जे पूर्णिया हवाइ अड्डा सेहो दरभंगा हवाइ अड्डा जेना सेनाक हवाइ अड्डा अछि।