बिहार सरकार के उच्च न्यायालय सं झटका, दबाई बनेबा मे अल्कोहल के उपयोग पर रोक नहि

    0
    310

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार सरकार के एक बेर फेर पटना उच्च न्यायालय सं झटका लागल। शराबबंदी के बाद होमियोपैथी आ आयुर्वेदिक दवाई मे अल्कोहल के उपयोग पर लागल रोक के उच्च न्यायालय के न्यायमूर्ति आईए अंसारी’क खंडपीठ ख़ारिज कय देलक।

    न्यायालय होमियोपैथी आ आयुर्वेदिक दवाई मे अल्कोहल के उपयोग के वैध बताबैत कहलक जे, दवाई मे जाहि तरहक अल्कोहल के उपयोग पूर्व मे कायल जा रहल छल ओ पहिने जेना होयत। दवाई मे अल्कोहल के इस्तेमाल पर रोक लगेनाइ एखन संभव नहि अछि। यदि एहेन भेल त होमियोपैथी आ आयुर्वेदिक चिकित्सा मे भारी असर पड़ि सकैत अछि।