शिवहर मे डिग्री कॉलेज खोलबाक रास्ता साफ़

    0
    257

    शिवहर, मिथिला मिरर: जिला मे बहुप्रतीक्षित डिग्री कॉलेज खोलबाक रास्ता साफ भय गेल। सूत्रक अनुसार नबाब हाई स्कूल मे शिक्षा विभाग अहि बात पर अप्पन सहमति दय देलनि। बताओल जा रहल अछि जे, पांच करोडक लागत स अहि डिग्री काॅलेजक निर्माण करोल जायत।

    बताओल जा रहल अछि जे पहिने कला विषय के पढाई शुरू कायल जायत। जहन कि भवन निर्माणक बाद सांइस, कॉमर्स आ वोकेशनल कोर्सक शुरुआत होयत। जिलाधिकारी राजकुमार कहलनि जे, अहि योजना के लेल पहिनहि प्रोपेजल भेजल गेल छल।

    अहि योजनाक स्वीकृत के बाद क्षेत्रक लोक मे ख़ुशी व्याप्त अछि। जिला संहर्ष समिती सेहो अहि बात पर अप्पन प्रसन्नता व्यक्त करैत जिलाधिकारी राजकुमार के धन्यवाद देलनि।