वॉट्सअप सं धरातल तक ‘मैथिल सेवा संस्थान’ आउ देखू साल भरिक उपलब्धि

    0
    390

    दिल्ली-मिथिला मिररः “मैथिल सेवा संस्थान” के स्थापना एक WhatsAap Group केर माध्यम सँ १५ अगस्त २०१५ क’ जितमोहन झा (जीतु) द्वारा कायल गेल। ‘मैथिल सेवा संस्थान’ जे सम्पूर्ण मिथिलाक नवयुवक द्वारा गठित संस्था छी जेकर एकमात्र उद्देश्य मिथिलाक धरातल पर पहुँच मैथिलक मदत केनाय अछि, चाहे ओ मदद कुनो आपदा लेल होई या कुनो गंभीर रोगसँ ग्रसित मैथिलक ईलाज लेल होई या कुनो आर्थिक रूपे पिछड़ल नेना-बुटकाक शिक्षा लेल होई, इ संस्थाक संविधान में अंकित उद्देश्य अछि;

    1. शिक्षा :- (क) मिथिलाक कोण – कोण म’ शिक्षा के व्यवस्था, (ख) हाई स्कूल सँ विद्यार्थी सब लेल डिजिटल (कंप्यूटर) शिक्षा के व्यवस्था, (ग) कौशल विकाश।

    2. चिकित्सा :- (च) गंभीर बीमारी म’ निर्धन मैथिल केर सहयोग, (छ) मैथिल बाल /वृद्ध लेल चिकित्सा शिविर आर रक्तदान शिविर के आयोजन, (ज) मिथिलाक कोण – कोण म’ प्राथमिक चिकित्सा के व्यवस्था।

    4. बेरोजगारी :- (ट) डिजिटल नौकरी के तलाश, (ठ) बेरोजगारक लेल कौशल विकाश शिविर केर आयोजन, (ड) मिथिलांचल में व्यव्शाय क’ बढ़ाबा।

    4. नारी सशक्तिकरण :- (त) गृह उद्योग क’ बढ़ाबा, (थ) गृह उद्योग लेल प्रशिक्षण शिविर केर आयोजन, (द) महिला क’ सम्मान देबाक लेल मैथिलक बीच जागरूकता शिविर केर आयोजन।

    5. मिथिला / मैथिल केर सम्मान / विकाश :- (प) मिथिला चित्रकला क’ बढ़ाबा, (फ) मैथिल विद्वान जन केर सम्मान, (ब) मिथिलाक धरोहर पाबैन / संस्कृति केर रक्षा, (भ) प्राकृतिक आपदा सँ प्रभावित मैथिलक सहायता।

    मैथिल सेवा संस्थान द्वारा एखन धरी धरातल पर कायल गेल काज;

    (१) दरभंगाक १२ दिवसीय महायज्ञ (दिनांक : ०३/०४/२०१६) के कलश यात्रा सँ संस्था धरातल पर उतरैत पूरा रास्ता म’ श्रद्धालु लेल पेय जल केर व्यवस्था केलक संगहि पूरा यज्ञ में सेहो संस्था मुफ्त पेय जल के स्टॉल लगेलक।

    (२) स्वच्छ्ता सभियान (दिनांक : १७/०४/२०१६) – मैथिल सेवा संस्थान (दिल्ली) टीम द्वारा लक्ष्मीनगर, मेट्रो स्टेशन लग स्वच्छ्ता सभियान के आयोजन कायल गेल।

    (३) दोल (बाल्टी) आर मग केर वितरण (दिनांक : ०५/०५/२०१६) – जिला दरभंगा केर हनुमाननगर प्रखंडक पटोरी गाम में विकराल अगिलगी सँ प्रभावित ५०० परिवारक बिच मुफ्त दोल (बाल्टी) आर मग केर वितरण कायल गेल।

    (४) राहत सामिग्री केर वितरण (दिनांक : ०९/०५/२०१६) – जिला दरभंगा केर हनुमाननगर प्रखंडक पटोरी गाम में विकराल अगिलगी सँ प्रभावित ५०० परिवारक बिच संस्था द्वारा राहत सामिग्री (५ किलो चाउर, १ किलो दाइल आर ५०० ग्राम नीमक/परिवार) केर वितरण कायल गेल।

    (५) चिकित्सा शिविर (दिनांक : २९/०५/२०१६) – जिला दरभंगा केर हनुमाननगर प्रखंडक पटोरी गाम में विकराल अगिलगी सँ प्रभावित परिवार लेल दिनांक : २९/०५/२०१६ क’ मुफ्त चिकित्सा शिविर के आयोजन होय बला अछि।

    (६) मुफ्त शिक्षा केंद्र (बनगाँव, जिला – सहरसा) : जिला सहरसा के बनगाँव गाम म’ ८,९ आर १० कक्षा के गरीब विद्यार्थी लेल जल्दे मुफ्त शिक्षा केंद्र केर स्थापना कायल जायत (जाहि पर काज सुरु अछि)

    (७) मुफ्त कंप्यूटर शिक्षा केंद्र (दरभंगा) – संस्था दरभंगा म’ मुफ्त कंप्यूटर शिक्षा केंद्रक स्थापना लेल विचार क’ रहल अछि।
    संस्थाक वेबसाइट : www.maithilsevasansthan.org
    फेसबुक : www.facebook.com/groups/maithilsevasansthan/