रसोइया के चतुर्थ वर्गीय कर्मी’क दर्जा दियेबाक लेल प्रदर्शन

    0
    326

    मधुबनी, मिथिला मिरर: बिहार राज्य मध्याह्न भोजन रसोइया संघक जिला इकाई के तत्वावधान मे 10 सूत्री मांगक लेल समाहरणालय के समक्ष प्रदर्शन कायल गेल। प्रदर्शनक बाद एकटा प्रतिनिधिमंडल द्वारा जिला प्रशासन के मांग पत्र सौंपल गेल। अहि सं पूर्व भोगेन्द्र यादवक अध्यक्षता मे सभाक आयोजन कायल गेल।

    संघक मुख्य मांग मे मध्याह्न भोजन कर्मी के बहालीक समय स नियोजन प्रमाण पत्र निर्गत करबाक, लंबित मानदेय के भुगतानक संग मानदेयक भुगतान प्रतिमाह प्रथम सप्ताह मे सुनिश्चित करबाक, रसोइया के 10 महिनाक जगह 12 महिनाक मानदेयक भुगतान, आकस्मिक आ मातृत्व अवकाश तीन माहक प्रावधान, वर्दी मुहैया करेबाक,  रसोइया के चतुर्थ वर्गीय कर्मचारीक दर्जा, स्कूल मे भोजन बनेबा हेतु धुआं रहित चूल्हाक व्यवस्था, रसोइयाक 15 हजार रुपैया मानदेय, मध्याह्न भोजनक एनजीओ स अलग रखबा सहित इत्यादि मांग शामिल अछि।

    बैसक मे जिला संयोजक रामचन्द्र शर्मा, अताउर्रहमान अंसारी, योगेन्द्र यादव, पूनम देवी, जनार्दन ठाकुर, ललिता देवी, मिश्रीलाल ठाकुर, सीमा देवी, पवन पासवान, सत्यलाल कामत, ऋषिदेव सदाय, मुनचुन देवी, गंगाराम दास, शिबू भंडारी, जनार्दन ठाकुर, आशा देवी, लक्ष्मी चौधरी, घूरन मंडल, रघुनाथ यादव, रामनंदन महतो, अब्बास शाहजहां, आशा देवी आदि उपस्थित छलाह।