मुख्यमंत्री के ऐबा सं पहिने मोन पड़लाह जननायक

    0
    254

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: जननायक कर्पूरी ठाकुर के अनुयायी बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के दरभंगा दौरा कार्यक्रम के देखि कय बुधदिन भोरे-भोर निगम कर्मी के शहरक कर्पूरी चौक स्थित कर्पूरी ठाकुर के प्रतिमाक साफ़ सफाई’क याद आबि गेल। ताहि दुआरे महीनो सं उपेक्षित आ गंदगीक अंबार झेलैत शहरक कर्पूरी चौक स्थित प्रतिमा एवं चौरंगीक साफ़ सफाई मे निगम कर्मी तत्पर छथि।

    प्रतिमा के रगड़ी-रगड़ी कय नहाओल एवं आसपासक साफ़ सफाईक काज भय रहल अछि। लोकक कहब अछि जे, अहि दौरा के उपलक्ष्य मे कम स कम सफाई त भय रहल अछि। स्थानीय लोकक अनुसार कर्पूरी ठाकुर के जयंती या पुण्यतिथि सामान्यतया नामक लेल साफ़-सफाई कायल जाइत अछि।