दरभंगा मे मामूली बात पर पान दुकानदार के पिटलक सब इंस्पेक्टर

    0
    421

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा मे एक बेर फेर सं पुलिसक खौफनाक चेहरा देखबा मे आयल अछि। दरभंगाक लहेरियासराय थानाक एकटा दरोगा पर मामूली बात के लय क बेरहमी स एकटा युवक के पिटबाक आरोप लगाओल गेल अछि।

    घटना थाना क्षेत्रक भीगो मोहल्लाक सहनी टोलक अछि। जतय पान दुकानदार के दरोगा दुकान स उठालाक बाद बेरहमी स पिटाई केलक। घायल युवक अजय सहनी के एना क मारल गेल कि समुच्च शरीर लाल भय गेल।

    पिटाई के घटना स आक्रोशित भाजपा नगर विधायक संजय सरावगी एवं विधान पार्षद अर्जुन सहनी पीड़ित युवक के संग एसएसपी सत्यवीर सिंहक कार्यालय पहुँचलाह। दुनू जनप्रतिनिधि दरोगा के खिलाफ कार्रवाई करबाक मांग केलनि।

    अहि मामला पर एसएसपी सत्यवीर सिहं कहलनि जे. एसडीपीओ सदर के जांचक आदेश देल गेल अछि, रिपोर्ट एलाक बाद आरोपी के खिलाफ कार्रवाई कायल जायत।