साहित्यिक एवम् सांस्कृतिक समिति मधुबनी द्वारा नवकृष्ण कें ‘नवहस्ताक्षर पुरस्कार-२०१७’ देल जेतनि

    0
    272

    दिल्ली, मिथिला मिरर: मैथिली व्यंग्यक पोथी ‘खुरचनभाइक कछमच्छी’ केर लेखक नवकृष्ण ऐहिक (मूलनाम-रुपेश कुमार झा) केँ बर्ख २०१७ केर ‘नवहस्ताक्षर पुरस्कार’ देल जेतनि. मैथिली साहित्यिक एवम् सांस्कृतिक समिति मधुबनीक पदाधिकारी दिलीप झा (साहित्यकार) फोन पर जनतब दैत कहलनि जे संस्था द्वारा एहि पुरस्कारक घोषणा परुकाँ साल मने २०१६ सँ प्रारम्भ कएल गेल अछि जे चालीस बर्ख सँ कम उमेरक साहित्यकारकेँ ई पुरस्कार देल जाइत अछि.

    बर्ख २०१६ केर नावहस्ताक्षर पुरस्कार युवा साहित्यकार निशाकर (सिमरिया) केँ देल गेल छल। निर्णायक समितिक तीन सदस्य (जूरी टीम) वरिष्ठ साहित्यकार क्रमशः उदय चन्द्र झा “विनोद”, डा.सुरेन्द्र लाल दास आ प्रो. दमन कुमार झा द्वारा एहि पुरस्कारक निर्णय देल गेल। ज्ञात हो कि नवकृष्ण ऐहिक काव्य लेखनमे रूपेश त्योंथ केर नाओं सँ जानल जाइत छथि आ कोलकाता सँ’ संचालित वेब-पोर्टल “मिथिमीडिया” केर संपादक सेहो छथि।

    पुरस्कार हेतु चयनित पोथी “खुरचनभाइक कछमच्छी” ऑनलाइन पोथी बिक्री केर माध्यम सैप्पीमार्ट.कॉम पर बर्ख २०१६ मे बिकाए बला सभसँ’ बेसी पोथी अछि। मिथिला मिरर टीम दिस सँ एहि पुरस्कार हेतु बधाइ एवं उज्ज्वल भविष्यक कामना।