मैलाम सहित मधुबनीक कतेको गाममे संपन्न भेल माइटमंगल

    0
    397

    मधुबनी,मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झाः मंगलदिन शारदीय नवरात्रक विविधत शुरूआत माइटमंगलक बाद भए गेल। मिथिला विधि प्रधान अछि आ अहि बात सं सब कियो नीक जेना परिचित छी। मिथिलाक बहुतो गाममे माइटमंगल केर चलन पूर्व सं रहल अछि। भादव शुल्क चतुर्थी अर्थात चैरचनक बाद जे मंगल आवैत अछि ओहि दिन धूम-धाम सं भगवीतक माइटमंगल मनाओल जेवाक परंपरा अछि।
    अहू बेर मंगलदिन मैलाम, भटसिमर, राधोपुर, सिमरी, हड़री, भड़िया, पिलखवार, सहित कतेको गाममे माइट मंगल भावपूर्ण तरीका सं मनाओल गेल। मंगलदिन भोर-भोर संपूर्ण ग्रामवासी मैयाक मंदिर पर आबि नानान तरहक मंत्रोच्चारण करैत शंख, घड़ीघंट, ढोल, पिपही बजवैत मैयाक माइटमंगलक लेल प्रस्थान कैलनि। चिन्हित पोखैर पर पहुंच ओहिठाम मैटकोर करैत ओहि माइटकें विविधवत पूजा कैल गेल।
    मैलाम गाम मे माइटमंगल विशेष दृश्य देखल गेल। पोखैर पर पूजा केलाक बाद पांच गोट अैहब स्त्रीगण ओहि माइटकें माथ पर थारीमे राखि ओकरा नीक कपड़ा सं झापि मंदिर तक अनलनि। वातावरण वैदिक मंत्र, शंख आ घड़ीघंटक अवाज सं गुंजयमान हाइत रहल। माइटमंगलक विषयमे मिथिला मिरर सं बातचीत करैत पंडित श्रवण कुमार झा कहला जे मिथिला कतेको गाममे इ परंपरा दीर्घकाल सं चलैत आबि रहल अछि। मंगलकें धरतीक पुत्र मानल गेलनि अछि आ ओहि कारण कोनो शुभ कार्यमे माइटमंगल होइत अछि।
    मैयाक अहि माइटक बहुत बेसी महत्व कारण ओहि माइट सं मैयाक मूर्तिक निमार्ण कैल जाइत अछि। वैदिक रूपें पूजा भेलाक बाद ओहिमे मैयाक अंश विद्यमान भए जाइत अछि। मैलाम गाम मे संपन्न माइटमंगलमे पंडित सुमन झा, पंडित बौआकांत झा, भक्ति भाव सं पूजा संपन्न केलाह। तहिना पूजा समितिक अध्यक्ष सुनील कुमार पाठक, पूर्व अध्यक्ष आ वर्तमान सरपंच विजय ठाकुर, पूर्व अध्यक्ष डाॅ. हरेराम कुंवर, अनिल पाठक, मदन ठाकुर, शिव कुमार सिंह, सुमन कांत झा, भायराम राय, विंदेश्वर राय, नारायण पासवान, सुरेन्द्र साह, सुमन जी सेठ, अशोक झा सहित संपूर्ण गामवासीक सहभागिता देखल गेल।
    फोटोः संटू जी।