बिहार मे गुटखा-पान मसाला पर प्रतिबंध जारी रहत – सर्वोच्च न्यायालय

    0
    265

    पटना, मिथिला मिरर: सर्वोच्च न्यायालय पटना उच्च न्यायालय के ओहि आदेश पर रोक लगा देलक अछि जाहि मे गुटखा, पानमसाला तथा जर्दा एहेन तंबाकू सामग्री पर लागल प्रतिबन्ध के हटा देने छल। राज्य सरकार द्वारा दायर एसएलपी पर सुनवाई करैत सर्वोच्च न्यायालय ई निर्णय सुनौलक अछि।

    जानकारी के अनुसार सर्वोच्च न्यायालय पटना उच्च न्यायालय मे तंबाकू उत्पाद पर प्रतिबंध के खिलाफ दायर दू टा अन्य याचिका पर मंगलदिन होबय वला सुनवाई पर सेहो रोक लगा देलक अछि। आब सब मामलाक सुनवाई सर्वोच्च न्यायालय स्वं 9 नवंबर क करात।