माघी पूर्णिमा पर हजारों श्रद्धालु लगेलनी आस्थाक डुबकी

0
1039
दरभंगा/कटिहार, मिथिला मिरर : माघी पूर्णिमाक अवसर दरभंगाक सदर प्रखंडक गौसा घाटमे दूर-दूरसँ आयल श्रद्धालु कमला नदीमे आस्थाक डुबकी लगेलनि। माघी पूर्णिमाक स्नान लेल श्रद्धालु लोकनि राइतसँ ऐनाय शुरू क’ देलनि। नदीमे स्नानक बाद सभ भक्त लोकनि कमला नदीक तट पर बनल शिव मंदिरमे पूजा अर्चना कएलनि। बतादी जे माघी पूर्णिमाक अवसर पर दरभंगा जिलाक सदर प्रखण्ड अंतर्गत गौसाघाटमे मेला सेहो पूर्वहीसँ लगैत अछि। एहन मान्यता अछि जे कोनो भक्त एहि दिन कमला नदीमे स्नान करैत छथि ओ पुण्यक भागी होइत छथि आ हुनक मनोकामना सेहो पूर्ण होइत छनि। माघी पूर्णिमाक मेलाकेँ देखैत प्रसाशनिक व्यवस्था सेहो रहैत अछि। मेलाक दौरान कतेको लोक सभ अपन बच्चाक मुंडन सेहो करबैत छथि। एहिबेर एहि अवसर पर मंदिरमे भजन संध्याक आयोजन सेहो कएल गेल छल। दूरदराजसँ आयल कलाकार लोकनि भजन सेहो गेलाह। रातिमे रुकइ वला भक्त लोकनिक लेल लंगरकेँ व्यवस्था सेहो कएल गेल छल।

माघी पूर्णिमाक मौका पर भारी संख्यामे श्रद्धालु गौसाघाट पहुँचल छलाह जाहि कारण ओतय बहुत देर तक अफरातफरी मचल रहल। बेसी भीड़केँ कारण ओतय भगदड़ मची गेल छल। हालाँकि भगदड़मे ककरो जख्मी होयबाक सूचना नहि अछि। भगदड़क सूचना भेटला पर सदर एसडीओ राकेश गुप्ता आ सदर एसडीपीओ अनोज कुमार दंगा नियंत्रण बलक संग पहुँचलाह। बहूत मशक्कतकेँ बाद पुलिस स्थितिकेँ नियंत्रित क’ सकल। घटनाकेँ संबंधमे पूछला पर स्थानीय दुकानदार लोकनि कहलनि जे मंदिर तक जेबाक रस्ता बहुत संकीर्ण होयबाक कारण ओतय भगदड़ मची गेल छल। अत्याधिक भीड़केँ कारण कतेको बच्चाकेँ दम घुटय लागल। दू-चारीटा बच्चाकेँ मूर्छित होयबाक कारण भगदड़ मचल छल। सदर एसडीपीओ अनोज कुमार कहलनि जे भगदड़मे कोनो श्रद्धालुकेँ जख्मी होयबाक सूचना नहि अछि।

गंगा-कोसी संगम पर लागल श्रद्धालुक मेला

वेद ग्रंथमे वर्णित संगम उत्तरवाहिनी गंगा तट पापहरणी मोक्षदायनी मानल जाइत अछि।  एहन पुण्य स्थल पर जप, तप, ध्यान, साधना, गंगा सेवन आ स्नान विशेष रूपसँ फलित मानल जा इत अछि। यद्यपि ऋषिकेश, हरिद्वार, प्रयाग, काशी सुल्तानगंज आ कुर्सेलाक त्रिमोहनी संगम उत्तर वाहनी गंगा तटक अनुरूप कुर्सेलाक संगम उत्तरवाहिनी तटक महत्ताकेँ अनुरुप प्रसिद्धि नहि भेटल। बहरहाल माघी पूर्णिमा पर आ अन्य धार्मिक अवसर पर एतय श्रद्धालु लोकनिक अपार भीड़ जुटैत अछि। एहि तट पर जप, साधना व गंगा स्नान लेल सहरसा, सुपौल, मधेपूरा, कटिहार आ पूर्णियासँ बहुत बेसी तादादमे श्रद्धालु पहुँचैत छथि। एहि स्थलसँ तकरीबन चारी किलोमीटरकेँ दूरी पर तीनटेंगा तट पर माघी पूर्णिमा पर भव्य मेला लगैत अछि। गंगा तट पर संगम बाबा द्वारा भंडाराक सेहो आयोजन कएल जाइत अछि। माघी पूर्णिमा पर सिमरिया सहित अन्य कतेको जगह स्नान होइत अछि।