यूकेजी’क छात्र के जंजीर मे बान्हि निर्दयता स पिटलनि प्रिंसिपल

    0
    259

    सुपौल, मिथिला मिरर: सुपौलक निर्मली नगर पंचायतक हंसवाहिनी विद्यासागर स्कूलक प्रिंसिपल यूकेजीक छात्र के बृहस्पति दिन दुनू पैर जंजीर मे बान्हि जमि कय पिटलनि। अहि दौरान हैवान शिक्षक 16 घंटा धरि छात्र के जंजीर मे बान्हि कय रखने रहल। जहन कि मासूम छात्रक एतबे कसूर छल जे ओ अप्पन किताब स भरल बैग लय स्कूल स बाहर जाय चाहैत छल।

    बात एतहि नै समाप्त भेल, जंजीर स बन्हल छात्र के एकटा कमरा मे बंद कय देल गेल। अबोध छात्र ओहि कमरा मे बिलखैत रहल मुदा निर्दयी प्रिंसिपल के एक्को रत्ती दया नै एलै। भोरक साढ़े छह बजे स साँझक छह बाजि गेल। जहन छह बजे साँझ मे बच्चा के होश आयल त अन्हारक समय देखि जंजीर मे बान्हल बच्चा ओतय स गुड़कुनीया दैत लगभग आधा किलोमीटर दूर अप्पन पैघ मां गायत्री प्रकाश (जिला परिषद् उपाध्यक्ष सुपौल) के ओतए 9 बजे राति मे पहुँचल।

    बच्चा के जंजीर मे बान्हल अहि अवस्था मे देखि जिला परिषद् उपाध्यक्षक आवासीय परिसर मे मौजूद लोकक होश उड़ि गेल। जकरा बाद स्कूलक निदेशक राम प्रकाश साह के बजौल गेल। परंतु निदेशक छात्रक परिजन स अहि घटना के बिसरि जेबाक लेल मान-मनौव्वल करय लगलाह। मुदा पीड़ित छात्रक पिता घटनाक सूचना पुलिस अधिकारी तथा सामान्य प्रशासन के दय न्यायक गुहार लगौलनि।