दरभंगा मे पोखरि सं महिलाक लहास भेटलाक बाद लोकक हंगामा

    0
    430

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: विश्वविद्यालय थाना क्षेत्रक अंतर्गत सुंदरपुर के नीम पोखरि सं एकटा महिलाक लहास बरामद भेल अछि। मृतकक पहचान रोजी देवीक रूप मे कायल गेल अछि, जे, पोखरि के समीप अप्पन ससुराल सं तीन दिन सं लापता छल।

    घटना के बाद मृतकक नैहर के लोक सासुर पक्ष पर हत्या कय लहास के नुकेबाक आरोप लगेलग अछि। मृतकक सासुर रामकुमार महासेठ के घर अहि सं आक्रोशित लोक तोड़ फोड़ केलक अछि। आक्रोशित लोक सब एकटा स्कूटी आ मोटरसाइकिल के आगिक हवाले कय देलक। पुलिस स्थिति के नियंत्रण करबाक प्रयास कय रहल अछि।