अवैध हथियारक संग भाजपा विधायक के बेटा गिरफ्तार

    0
    275

    पटना, मिथिला मिरर: पटना पुलिस बुधदिन साँझ मे हथियारक संग भाजपा विधायक के बेटा के गिरफ्तार केलक अछि। बताओल जा रहल अछि जे, दानापुरक भाजपा विधायक उषा सिन्हा के बेटा सचिदानंद सिन्हा के अवैध हथियारक संग दुल्हिनगंज इलाका स गिरफ्तार कायल गेल।

    सूत्रक अनुसार अरवल स 7.65 के पिस्टल लय कय आबि रहल छल आरोपी। पुलिस चेकिंग के दौरान टाटा वोल्ट कार केसंग पटना स सटल पालीगंज इलाका मे सचिदानंद के गिरफ्तार कायल गेल। बताओल जा रहल अछि जे, विधायक पुत्र के संग विक्की नामक एकटा और युवक के सेहो गिरफ्तार कायल गेल अछि।