सड़क हादसा मे गंभीर रूप सं जख्मीक इलाज़ मे देखार भेल ‘डीएमसीएच’ कर्मिक अमानवीय व्यवहार

    0
    365

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: लहेरियासराय थाना क्षेत्रक आदर्श मध्य विद्यालयक समीप मंगलदिन देर राति एकटा मोटरसाइकिल बिजलीक खंभा सं टकरा गेल। जाहि मे मोटरसाइकिल सवार दूनू युवक जख्मी भय क सड़क पर बेहोश पड़ल छल। ताहि दौरान स्टेशन स वापस आबि रहल स्थानीय खजसराय निवासी जय कामत एवं चन्दन कुमार घायल के उठा कय डीएमसीएच लय गेलाह।

    डीएमसीएच मे स्वास्थ्य कर्मी इलाजक लेल काफी आनाकानी करय लगलाह। सीटी स्कैनक जरूरत बता क इलाज सं छुटकारा पेबाक कोशिश कायल गेल। संग गेल युवक द्वारा स्कैन करबाक जोड़ देला पर कर्मी रुपैया मांगय लागल। युवक जहन आग्रह केलक जे, घायल के परिजन इलाके बाद रुपैया भेट जायत त कर्मी नहि मानलक। अस्पताल कर्मी अमानवीयताक परिचय दैत सीधे कहि देलक जे, एहेन पेशेंट पड़ल रहैत अछि। युवक कोनो तरह रुपैयाक व्यवस्था कय तत्काल इलाज शुरू करबौलक।

    घायल मे एकटा युवक लहेरियासराय गुदरी बाज़ार ज़हन कि दोसर हाउसिंग बोर्ड कॉलोनीक निवासी बताओल जा रहल अछि। अहि इस घटना मे किछु युवकक सेवा भाव काज आयल। परंतु एकटा पैघ सवाल ई अछि जे, यदि हादसा मे गंभीर रूप स घायलक परिजन देरी सं डीएमसीएच पहुंचत त कि रुपैयाक अभाव मे एहेन मरिजक मौत होइत रहत?