पटनामे गंगा’क सफाईकें लेल 1050 करोड़ रुपैया मंजूर

    0
    294

    पटना, मिथिला मिरर: केंद्र सरकार ‘नमामि गंगे कार्यक्रमकें’ तहत एकटा पैघ फैसला लेलक अछि। सरकार पटनामे गंगाक सफाईकें लेल 1050 करोड़ रुपैयाक मंजूरी देलक अछि। अहिकें तहत विभिन्‍न परियोजनाक माध्‍यम सं पटनाक सीवरेज व्‍यवस्‍थामे सुधार आओत। संगहि अगिला एक दशक धरि शहरमे बढ़ैत आबादीकें ध्यानमे रखैत संयंत्रकें व्यवस्थित बनेबाक लक्ष्‍य अछि।

    केंद्र सं भेटल अहि रुपैया सं दू टा मल-जल शोधन संयंत्र स्थापित कएल जाएत। अहिकें तहत मौजूदा संयंत्रक नवीकरण, दू टा पंपिंग स्टेशनक स्थापना आ लगभग 400 किमी लंबा नव सीवरेज नेटवर्क पर काज कएल जाएत। सैदपुर क्षेत्रमे 60 एमएलडी क्षमता वला संयंत्र स्थापित करबा आ 227 किमीके नव भूमिगत सीवरेज नेटवर्क बिछेबा पर 600 करोड़ रुपैयाक लागत आओत।

    सूत्रक अनुसार अहि काजक लेल यूईएम इंडिया प्राइवेट लिमिटेड आ ज्‍योति बिल्‍डटेक प्राइवेट लिमिटेडकें ठेका देल गेल अछि। तीन अन्य कंपनी लार्सन एंड टर्बो लिमिटेड, वोल्‍टास लिमिटेड आ जीएए जर्मनी जेवीकें शहरक बेऊर क्षेत्रमे 23 एमएलडी वला संयंत्रक निर्माण, 20 एमएलडीके मौजूदा संयंत्रक नवीनीकरण तथा लगभग 180 किलोमीटरके नव भूमिगत सीवेज नेटवर्क बिछेबाक काज देल गेल अछि। अहिकें लेल 450 करोड़ रुपैया आवंटित कएल गेल अछि।