मधुबनीमे बस पलटला सं 17 गोटे घायल

    0
    461

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी जिलाक सकरी थाना क्षेत्र अंतर्गत एनएच 57 पर कनकपुरकें समीप दरभंगा सं मधुबनीकें अंधराठाढ़ी जा रहल बस बीआर 32 एफ 4545 अनियंत्रित भए सड़क पर पलटि गेल। अहि हादसामे 17 गोट यात्रीके घायल हेबाक सूचना अछि।

    सूचनाक बाद घटनास्थल पर स्थानीय लोक जुटि गेल आ घायलकें तत्काल स्थानीय कस्पतालमे भर्ती कराओल गेल। हादसामे बहुतो यात्री गंभीर रूप सं घायल भेल अछि। चारि गोट यात्री डीएमसीएच रेफर कएल जा चुकल अछि।