मुक्तधारा ऑडिटोरियममे आए मैलोरंगक विशेष प्रस्तुति ‘विलाप’

    0
    319

    दिल्ली, मिथिला मिरर: बृहस्पति दिन साँझ 7 बजे नई दिल्लीकेँ गोल मार्केट स्थित मुक्तधारा ऑडिटोरियममे मैलोरंग द्वारा बाबा नागार्जुनक मूल कृति विलापक नाट्य रूपान्तरक मंचन कएल जा रहल अछि। जाहिमे प्रवेश निशुल्क राखल गेल अछि।

    विलापक नाट्य रूपांतरण मैथिलीक प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया द्वारा कएल गेल अछि तथा संतोष कुमार, अमरजी राय द्वारा निर्देशित अहि नाटकक प्रस्तुति मैलोरंग रेपर्टरी समूह द्वारा कएल जा रहल अछि।