मधेपुरामे मेडिकल कॉलेजक काज रोकलक जोन

    0
    274

    मधेपुरा, मिथिला मिरर: जिलाधिकारी द्वारा मेडिकल कॉलेज भवन निर्माणमे तेजी अनबाक लेल बैसक के एक दिन बाद मजदूर सब काजक बहिष्कार केलक। बकाया भुगतान एवं श्रम विभाग द्वारा तय नव दर पर भुगतानक लेल मेडिकल कॉलेज भवन निर्माण कार्यमे लागल सब मजदूर बृहस्पति दिन काज बन्द कय देलक। काजक बहिष्कार केने मजदूर कहलनि जे, दू सं चारि महिना तक मजदूरी भुगतान बाकी अछि।

    काजक बहिष्कार के बाद निर्माणकर्ता एजेंसी एल एण्ड टी के प्रोजेक्ट मैनेजर मजदूर नेता एवं लेबर कॉन्ट्रेक्टरकें संग बैसक केलनि। बैसकमे मजदूर यूनियनकें नेता कहलनि जे श्रम विभाग द्वारा तय कायल गेल नव दरक आधार पर मजदूरी भुगतान अगिला महिनाक 12 तारीख तक भय जेबाक चाही।

    बैसकमे मौजूद एल एण्ड टी के प्रोजेक्ट मैनेजर अनिल सिंह कहलनि जे, आब आगू सं नव मजदूरी दरक आधार पर कार्य दर तय कायल जायत। ओना पहिने सं तय दर सं अधिक रुपैयाक भुगतान कएल जाइत छल। ओतहि मजदूर यूनियन काजमे स्थानीय लोकक 75 प्रतिशत भागीदारी बतेलनि अछि।