झंझारपुर मे आगिक चपेट मे एला सं लाखो’क संपत्ति जरिकय खाक

    0
    263

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी के झंझारपुर प्रखण्डक नरूआर गाम मे सोमदिन दुपहर मे अचानक आगि लागला सं कामेश्वर झा एवं संजय झा के घर जरी कय राख भय गेलनि। अहि अगिलगि मे पैंतीस सं चालीस हजार नकद, एकटा मोटरसाइकिल तथा दू लाख सं अधिक मूल्यक अन्य संपति जरि गेल।

    सूचना पर पहुंचल ग्रामीण कोनो तरह आगि पर काबू कय कोनो पैघ अनहोनी हेबा सं बचेलाणी। सूचना भेटला पर सीओ हेमंत कुमार दास अप्पन कर्मचारीक संग गाम पहुंच क सरकार द्वारा निर्धारित मुआवजा पीड़ित परिवार के देबाक व्यवस्था कय रहल छथि।

    सूत्रक अनुसार सोमदिन अचानक कामेश्वर झा उर्फ कामे झा के घर सं आगिक लपेट उठय लागल। जा धरि लोक बूझि पाबैत ता धरि संजय झा’क घर सेहो आगिक चपेट मे आबि गेल। ग्रामीण आगि पर काबू पाबय के लेल अग्निशमण के सूचना देलनि मुदा समय पर अग्निशमण के दस्ता नहि पहुंच सकल।