हरलाखी मे 140 बोतल नेपाली शराबक संग तस्कर गिरफ्तार

    0
    253

    मधुबनी, मिथिला मिरर: भारत नेपाल सीमा पर महादेवपट्टी स्थित एसएसबी’क 14 वां वाहिनी के जवान 140 बोतल शराबक संग एकटा तस्कर के गिरफ्तार केलक अछि। तस्करक पहचान हरलाखी थाना के उमगांव निवासी नथुनी सहनी के रूप मे कायल गेल अछि।

    पिपरौन एसएसबी कंपनी इंचार्ज संपत सिंह राठौर के अनुसार महादेवपट्टी कैंपक एसआई सांगे के नेतृत्व मे जवान पिलर संख्या 282/21 के समीप नेपाल सं शराब लय क आबि रहल तस्कर के शराब तथा एकटा साइकिल समेत गिरफ्तार कय हरलाखी पुलिस के हवाला कय देलक अछि।

    हरलाखी थानाध्यक्ष संजय कुमार के अनुसार जब्त शराबक संग तस्कर के विरुद्ध मामला दर्ज कय मधुबनी जेल भेज देल गेल अछि।