बेगूसराय, मिथिला मिरर : बिहारक पूर्व समाज कल्याण मंत्री मंजू वर्मा आ हुनक पति चंद्रशेखर वर्मा पर आब गिरफ्तारीक तलवार लटकि रहल छनि। बेगूसरायक चेरिया बरियारपुर थानामे दर्ज आर्म्स एक्ट मुकदमामे हुनक अग्रिम जमानत याचिकाकेँ कोर्ट खारिज क’ देलक। बतादी जे 17 अगस्तकेँ मंजू वर्माक बेगूसराय चेरिया बरियारपुर स्थित आवास पर सीबीआइकेँ छापेमारीक दौरान 50 अवैध कारतूस भेटल छल, जाहिमे प्रतिबंधित बोरक कारतूस सेहो शामिल छल। एहि कारण सीबीआइक डीएसपी मंजू वर्मा आ हुनक पतिकेँ खिलाफ अवैध हथियार आ कारतूस रखबाक मामलामे एफआइआर दर्ज केने छल। बेगूसराय पुलिस जब्त कएल गेल कारतूसकेँ जाँच लेल पटना स्थित विधि विज्ञान प्रयोगशाला (एफएसएल) पठाउने छल। बेगूसरायक एसपी आदित्य कुमार बतौलनि जे जाँच रिपोर्टमे पता चलल जे मंजू वर्माक घरसँ जतेक कारतूस बरामद कएल गेल ओ सभ अवैध आ प्रतिबंधित अछि आ आब जिला पुलिस आगूक कार्रवाई करत। जनतब दी जे सीबीआइ, मुजफ्फरपुर घटनाक सिलसिलामे पूर्व मंत्रीक घर छापा मारने छल। मंत्री गिरफ्तारीसँ बचबाक लेल कोर्टमे अग्रिम जमानत याचिका लगौने छलीह, जे कोर्ट ख़ारिज क’ देलक। एहनमे सवाल उठैत अछि जे पूर्व मंत्रीक घर पर प्रतिबंधित श्रेणीक कारतूस कत’ सँ एलनि आ एकर की उपयोगिता छल?