मिथिलासँ चलत कुंभ स्पेशल ट्रेन

0
1340

मधुबनी, मिथिला मिरर: मिथिलाक लोक सभमे कुंभक प्रति बहुत आस्था रहैत छनि। एहनमे लोक सभकेँ कुंभ स्नानमे कोनो दिक्कत नै होईन एहि बातकेँ ध्यानमे रखैत रेल विभाग मिथिलाक जयनगर आ सहरसासँ कुंभ स्पेशल ट्रेन चलेबाक निर्णय लेलक अछि। प्रयागराजमे 15 जनवरीसँ शुरू होयवला कुंभक लेल जयनगरसँ स्पेशल ट्रेनक परिचालनक घोषणा केलक अछि। जयनगरसँ ट्रेन संख्या  05539 कुंभ स्पेशल ट्रेन भोर 6 बजे खुजत आ 20.45 बजे प्रयागराज पहुँचत। कुंभ स्पेशल ट्रेन जयनगर लेल 15 आ 21 जनवरी, 4, 10 , 19 फरवरी आ 4 मार्चकेँ भोर चारि बजे खुजत आ राइत 23.30 बजे जयनगर पहुँचत। एहि गाड़ीमे सामान्य 22 कोच, दूटा स्लीपर कोच सहित कुल 24 कोच होयत। समस्तीपुर रेलमंडलक वरीय वाणिज्य प्रबंधक वीरेन्द्र कुमार बतौलनी जे संभावना अछि जे ई ट्रेन सभ पैघ स्टेशन पर रुकत। ओतहि सहरसासँ प्रयागकेँ लेल ट्रेन संख्या 05595/05596 कुंभ स्पेशल मेला ट्रेन चलाओल जायत। सहरसासँ 14 जनवरी, 20 जनवरी, 9 फरवरी, 18 फरवरी आ 3 मार्चकेँ प्रयागराज लेल स्पेशल ट्रेन खुजत। प्रयागसँ 15 जनवरी, 21 जनवरी,  4, 10 फरवरी आ 4 मार्चकेँ सहरसा लेल स्पेशल ट्रेन चलाओल जायत। एहि ट्रेनमे दूटा स्लीपर कोच, 22 सामान्य कोच लगाओल जायत।

जनवरी महिनासँ शुरू भ’ रहल कुंभ मेलाक तैयारी पूरा क’ लेल गेल अछि। प्रयागराज प्रशासन कुंभमे स्‍नान लेल आवय वला कोनो भक्तकेँ दिक्कत नै होइन एकर विशेष ध्यान राखल गेल अछि। कुंभमे शाही स्‍नानक विशेष महत्‍व होइत अछि। एहि कुंभमे छह शाही स्‍नान होयत। मकर संक्राति यानि तिला संक्रांतिक दिन पहिल कुंभ मेलाक शाही स्नान होयत। शाही स्‍नानक महत्‍वपूर्ण दिन अछि – पौष पूर्णिमा स्नान-21 जनवरी (दोसर शाही स्नान), पट्लिका एकादशी स्नान-31 जनवरी, मौनी अमावस्या-4 फरवरी (तेसर शाही स्नान), बसंतपंचमी-10 फरवरी (चारिम शाही स्नान), माघी पूर्णिमा-19 फरवरी (पांचम शाही स्नान), जया एकादशी- 16 फरवरी, महाशिवरात्री -4 मार्च (छठम शाही स्नान) होयत। आस्थाक ई महाकुम्भ राष्ट्रीय एकताक कुंभ बनि सकै एकरा लेल सभ मुमकिन प्रयास कएल जा रहल अछि।