साक्षर भारत राज्य पुरस्कारक सूचि मे बिहार दोसर स्थान पर

    0
    275

    पटना, मिथिला मिरर: साक्षर भारत पुरस्कारक राज्य कैटेगरी मे बिहार अन्य राज्य के पाछु छोड़ैत टाॅप थ्री मे स्थान बनेलक अछि। बताओल जा रहल अछि जे, अहि मामला मे छत्तीसगढ़ के पहिला स्थान भेटल ओतहि बिहार के दोसर स्थान देल जेल। हालांकि छत्तीसगढ के प्रथम एबाक लेल बिहार आपत्ति सेहो दर्ज करौलक अछि। कहल जा रहल अछि जे, वर्ष 2015 मे सेहो छत्तीसगढ़ के साक्षर भारत पुरस्कार मे प्रथम स्थान भेटल छल।

    अहि मामला मे जन शिक्षा निदेशक विनोदानंद झा बतौलनि जे, बिहार राष्ट्रीय स्तर पर साक्षरता के क्षेत्र मे बहुत नीक काज कय रहल अछि। प्रदेश भरि मे 10 ग्राम पंचायत कैटेगरी मे आवेदन केने छल। जाहि मे समस्तीपुर के लगुनिया-सूर्यकंठ पंचायत साक्षरता समितिक चयन कायल गेल। समितिक वरीय प्रेरक अनीता कुमारी तथा लगुनिया मध्य विद्यालय के प्रधानाचार्य सौरव कुमार के राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जी स्वं सम्मानित केलनि।