दरभंगामे पंचायतक उप चुनाव शांतिपूर्ण संपन्न

    0
    508

    दरभंगा, मिथिला मिरर-फखरे आलम: घनश्यामपुर प्रखंड अंतर्गत मंगलदिन पुख्ता सुरक्षाक बीच शान्तिपूर्ण रूप सं पंचायत उप चुनाव संपन्न भेल। अहि चुनावमे पंच सदस्यक लेल एकटा पद पर 41 प्रतिशत मतदान भेल। एसडीओ मो० सफीक आलम, एसडीपीओ सुरेश कुमार, थाना अध्यक्ष पंकज कुमार पंथकें मौजूदगीमे चुनावक कार्यक्रम सम्पन्न भेल।

    त्रिस्तरीय पंचायत उप चुनावमे राज्यकें एकमात्र जिला परिषदक सीट पर चुनाव किरतपुरमे भारी सुरक्षाक बीच संपन्न भेल।