पूर्णिया, मिथिला मिरर : पूर्णियाँक गढि़या बलुआ पंचायतक बेलबाड़ी गाममे संचालित प्राथमिक विद्यालय उच्छेपुर केर अपन जमीन नै रहलाक कारण स्कूल यत्र-तत्र चलैत छल, जाहि कारणसँ बच्चा सभक पढाई लिखाईमे बड्ड परेशानी होइत छलैक। एहि परेशानीके देखैत सभ ग्रामीण मिलि जमीन देलथि संगहि चंदा क’ स्कूल बनबेलथि। आब बच्चा-बुच्ची सभके यत्र-तत्र नै भटकय पड़तनि। बुधदिन एहि भवनक उदघाटन पंचायतक मुखिया परमानंद ऋषि आ झुन्नीकला मुखिया कुंदन कृष्ण मोहन उर्फ कुंदन यादव, पूर्व मुखिया मु. मुजलिम फीता काटी क’ केलाह । एहि मौकापर उपस्थित गणमान्य लोकसभ बतेलनि जे 2009मे एहि विद्यालयक स्थापना भेल छल । अखन एहि विद्यालयकमे 164 छात्र नामांकित छथि। जमीनक अभावमे ई स्कूल चलंत विद्यालय बनि क’ रहि गेल छल। ई स्कूल कहियो मदरसामे त कहियो किनको दरबज्जा पर चलैत छल । किछु दिन पहिने गामक शेख इमाम आ शेख इसाख दुनू गोटय 22 डिसमिल जमीन द’ विद्यालयक स्थायी ठिकाना बनेलनि। जखन स्कूलक लेल जमीन उपलब्ध भ’ गेल तखन ग्रामीणक सहयोग आ चंदासँ चारिटा कोठली बनाओल गेल। आब एहि नव घरमे विद्यालय संचालित होयत। नबका विद्यालय बनलासँ बच्चा-बुच्ची सभमे सेहो खुशी देखल गेल। उपस्थित जनसमूह जमीनदाताकेँ आ सहयोगकर्त्ताकेँ लेल हृदयसँ साधुवाद देलथि।