भाजपा उम्मीदवार’क सूचि 27 मार्च कए एबाक संभावना

    0
    269

    दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: नगर निगमकें 272 सीटक लेल भाजपा 4000 सं अधिक नब चेहराक छटनी कए लेलक अछि। आब अहि 4000 नाम सं 272 गोट प्रत्याशीकें मैदानमे उतारल जाएत। पार्टी अध्यक्ष अमित साह’क रामलीला मैदानमे रैली’क बाद प्रत्याशीक ऐलान संभव अछि। संभावना जताओल जा रहल अछि जे, 27 मार्च धरि उम्मीदवारक घोषणा कएल जाएत।

    सूत्रक अनुसार अहि 4000 नामकें चुनाव समितिके समक्ष राखल जाएत, चुनाव समिति जाहि नाम पर मोहर लगा देत ओहि नामकें चुनावी दंगलमे उतारि देल जाएत। अहि समितिमे स्थानीय सांसद, मंडल अध्यक्ष, भाजपा कोर समितिक सदस्यकें शामिल कएल जाएत।

    सूत्रक अनुसार भाजपा चुनाव समितिक सदस्यक घोषणा 25 मार्च कए हेबाक संभावना अछि। भाजपाके संविधानमे अहि समितिक उल्लेख अछि आ प्रत्याशीक चयन अहि समिति द्वारा कएल जेबाक प्रावधान अछि।