गंगासागर मे मकर संक्रान्ति पर 30 लाख श्रद्धालुक पवित्र स्नान

0
14

पश्चिम बंगालक गंगासागर मे मकर संक्रान्तिक अवसर पर गंगा आ बंगालक खाड़ी के संगम पर आयोजित गंगासागर मेले मे भारी श्रद्धा देखल गेल। सरकारी सूत्रक अनुसार, लगभग 30 लाख श्रद्धालु एहि पावन अवसर पर पवित्र स्नान कएलनि। शाही स्नान के शुभ मुहूर्त मे ई क्रम करीब 24 घंटा तक लगातार जारी रहल। गंगासागरक एहि पवित्र धाम पर देश–विदेश सँ आयल श्रद्धालु उपस्थित छलथि। ओ सभ कपिल मुनि आश्रम सहित अन्य धार्मिक स्थल सभ मे पूजा–अर्चना कए पवित्र अनुष्ठान पूरा कएलनि। ठंडा मौसम रहितो श्रद्धालु सभ मे आस्था आ भक्ति के उत्साह कम नहि भेल।
मेले के दौरान सुरक्षा आ व्यवस्थाक व्यापक आ सुदृढ़ इंतजाम कएल गेल छल। हजारों पुलिसकर्मी, सिविल डिफेन्सक जवान आ आपदा प्रबंधन दल लगातार तैनात रहल। स्वास्थ्य सेवा के लेल चिकित्सा शिविर, एम्बुलेंस आ आवश्यक सुविधा उपलब्ध कराओल गेल।
पश्चिम बंगाल सरकारक अनुसार, गंगासागर मेला शांतिपूर्ण आ सुव्यवस्थित ढंग सँ संपन्न भेल। किछु वृद्ध आ अस्वस्थ श्रद्धालु के चिकित्सकीय सहायता देल गेल, मुदा कोनो गंभीर अप्रिय घटना के सूचना नहि भेटल। मकर संक्रान्ति पर गंगासागर स्नान के परंपरा लोक-आस्था, सांस्कृतिक विश्वास आ आध्यात्मिक चेतना के प्रतीक मानल जाइत अछि।