मिथिला मिरर, स्नेहा झा, पटनाः राजनगर प्रखंडक राघोपुर-बलाट स्थित प्राथमिक विद्यालय समाधिमे प्रधानाध्यापक पदपर कार्यरत अमित कुमार झा पी-एच.डी.क उपाधिसँ अलंकृत भेलाह। मूल रूपसँ मधुबनी जिलाक मैलाम गाम निवासी स्वर्गीय राजेन्द्र झा आ स्वर्गीय निर्मला देवीक द्वितीय पुत्र अमित कुमार झाकेँ ‘‘महेन्द्र मलंगियाक शोध दृष्टिक विश्लेषणात्मक अध्ययन’’ विषयपर कएल गेल शोधकार्यक आधारपर ई शोधोपाधि प्रदान कएल गेलनि। हुनक शोधकार्य वरीय सहायक प्राध्यापक डॉ. शैलेन्द्र मोहन मिश्रक शोध-निर्देशनमे सम्पन्न भेल।
विश्वविद्यालय मैथिली विभाग, ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, कामेश्वर नगर, दरभंगामे शनिदिन सम्पन्न भेल मौखिकी परीक्षामे सफलतापूर्वक उत्तीर्ण भेलाक उपरान्त मंगलदिन विश्वविद्यालयक उप परीक्षा नियंत्रक डॉ. सुरेश पासवान हुनका पी-एच.डी.क उपाधिसँ अलंकृत कयलनि।
अमित कुमार झा प्रारम्भिक रूपसँ वाणिज्य संकायसँ स्नातकोत्तर छथि। तत्पश्चात् नालंदा ओपन विश्वविद्यालयसँ मैथिली विषयमे स्नातकोत्तर उपाधि प्राप्त कयलनि। एकर बाद 2019 मे राष्ट्रीय परीक्षा एजेन्सी (NTA) द्वारा आयोजित नेट (NET) परीक्षा सेहो सफलतापूर्वक उत्तीर्ण कयलनि।
उल्लेखनीय अछि जे अमित कुमार झा, मिथिला मिररक संपादक ललित नारायण झाक माझिल भैयारी छथि। विशेष संयोग ई रहल जे दुनू सहोदर भाइ मैथिली विषयमे एकहि समय पी-एच.डी. कार्यक्रममे नामांकन लेलनि, एकहि सत्रमे अपन शोधकार्य पूर्ण कयलनि, एकहि समय मौखिकी परीक्षा उत्तीर्ण कयलनि आ एकहि अवसरपर पी-एच.डी.क उपाधि सेहो प्राप्त कयलनि। सम्भवतः मैथिली भाषाक क्षेत्रमे दू सहोदर भाइ द्वारा एकहि दिन पी-एच.डी.मे नामांकन लेब, एकहि समय मौखिकी परीक्षा उत्तीर्ण करब तथा एकहि अवसरपर शोधोपाधि प्राप्त करबाक ई अत्यन्त विरल, प्रेरणादायक आ उल्लेखनीय उपलब्धि मानल जा सकैत अछि।
अमित कुमार झाक एहि शैक्षणिक उपलब्धिपर परिवारजन, मित्र, शिक्षाविद्, साहित्यकार, सहकर्मी आ शुभचिन्तकसभक दिससँ निरन्तर बधाई, शुभकामना आ आशीर्वाद भेटि रहल छनि।





