प्रधानमंत्री आवास योजना मे बिहारक 8 लाख सँ बेसी लाभुक लोकनिक भुगतान अटकल

0
127

मिथिला मिरर, पटनाः प्रधानमंत्री आवास योजना (ग्रामीण) अंतर्गत बिहारक 8 लाख सँ बेसी लाभुकक भुगतान अटकल होयबाक सूचना भेट रहल अछि, जकर मुख्य कारण राज्य नोडल खाता मे पैसाक कमी बताओल जा रहल अछि। भुगतान रोकल जाएबा सँ लाभुक सभ केँ दोसर आ तेसर किस्त समय पर नहि भेटि रहल छनि। रिपोर्ट अनुसार, करीब 3,88,000 लाभुकक दोसर किस्त आ 4,20,000 लाभुकक तेसर किस्त लंबित अछि। हालांकि पहिने एहन तरहक बात सामने आएल छल जे बिहार विधानसभा चुनाव 2025 केँ कारण ई किस्त लाभुक सभक खाता मे नहि पहुँचल छल मुदा आब नोडल खाता मे टका नहि होयबाक बात सामने आबि रहल अछि। एहन विकट परिस्थिति मे बिहार सरकारक ग्रामीण विकास मंत्री श्रवण कुमार केंद्र सरकारक ग्रामीण विकास मंत्री शिवराज सिंह चौहान केँ पत्र लिखि आवश्यक धन यथाशीघ्र जारी करबाक अनुरोध कयलनि अछि। मंत्रीक अनुसार, जे लाभुक अपना आवास निर्माणक निर्धारित कार्य पूरा कऽ लेने छथि, हुनका लोकनि केँ अगिला किस्त राज्य खाता मे राशिक अभाव कारण रूकल अछि।

मंत्री श्रवण कुमार अपन पत्र मे आग्रह कयने छथि जे 31 मार्च 2026 तक पुरना भुगतान व्यवस्थाक तहत राशि जारी करबाक अनुमति देल जाए, ताकि भुगतान प्रक्रिया बाधित नहि होए। बिहारक लक्ष्य अनुसार 2024-25 आ 2025-26 मिलाक 12,21,000 आवास निर्माण करबाक योजना अछि। पहिल किस्त अधिकांश लाभुकक देल जा चुकल अछि, मुदा दोसर आ तेसर किस्तक रुकावट पूरा योजना पर असर पहुँचा रहल अछि, जाहि सँ स्थिति जटिल बनि गेल अछि। कियैक तऽ वर्तमान समय मे PMA-Y भुगतान प्रणाली मे बदलाव, जियो-टैग सत्यापन मे देरी, आ फंड रिलीज मे तकनीकी अड़चन बेर-बेर सामने अबैत रहल अछि। एहि कारण पूर्व मे सेहो हजारों लाभुकक भुगतान महिनो तक अटकल रहबाक मामला उजागर भेल छल। सरकारक दावा अछि जे मामला केंद्र स्तर पर पहुँचल अछि आ शीघ्र धन उपलब्ध कराओल जायत एकर आशा कयल जा सकैत अछि। लाभुक आ प्रशासन दुनू अब भुगतान प्रक्रिया बहाल होयबाक इंतजार मे छथि।