12 सितंबर कऽ दरभंगा हवाई अड्डाक दौरा करताह नागरिक उड्यन मंत्री हरदीप सिंह पुरी

0
2626

नई दिल्ली, मिथिला मिररः केन्द्रीय नागरिक उड्यन मंत्री हरदीप सिंह पुरी 12 सितंबर कऽ दरभंगा हवाई अड्डाक यात्रा करताह। केन्द्रीय मंत्री हवाई अड्डा पर चलि रहल काजक जायजा लेबाक लेल दरभंगा जा रहल छथि। एहि बातक जानकारी स्वयं हरदीप सिंह पुरी अपन सोशल मैसेजिंग साइट ट्विटर पर देलनि। जानकारी दऽ दी जे भारतीय विमानपत्तन प्राधिकरण हवाई हड्डा केँ विकसित कए रहल अछि आ दू दिन पूर्व अपना ट्विटर हेंडल सऽ दरभंगा हवाई अड्डाक तस्वीर जारी करैत जल्दी सऽ विमानक परिचालनक बाद सेहो कहि रहल अछि। बता दी जे केन्द्रीय स्वास्थ्य राज्य मंत्री अश्विनी कुमार चौबे आओर दरभंगाक सांसद गोपाल जी ठाकुर किछु दिन पूर्व केन्द्रीय नागरिक उड्यन मंत्री सऽ भेंट कए दरभंगा हवाई अड्डा केँ चालू करबाक आग्रह कएने छलाह।

पैछला डेढ़-दू साल सऽ मैथिलक बीच चर्चाक विषय बनल दरभंगा हवाई अड्डा सऽ विमानक परिचालन एक बेर फेर सऽ मुद्दाक रूप मे सामने आबि रहल अछि। जखन-जखन बिहार मे चुनाव आबैत अछि तखन-तखन भाजपा ओ जदयूक किछु नेता एकरा चुनावी मुद्दा बनावैत हवाई अड्डा सऽ हवाई यात्राक शुरूआत आ ओकरा लेल अपन बाँहि पुजेबाक तैयारी मे लागि जाइत छथि मुदा चुनावक बाद ई मुद्दा टाँय-टाँय फिस्स भए जाइत अछि। आब ई देखब दिलचस्प हैत जे इहो बेर दरभंगा सऽ हवाई परिचालन शुरू हैत आ कि चुनाव बाद ई मुद्दा फेर सऽ हवा-हवाई भए जाएत।