सांप कटला सं एक्के परिवारक दू टा बच्चाक मौत

    0
    391

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत कुमार झा: दरभंगाक जाले प्रखण्ड के कमतौल पंचायत स्थित मुशहरी टोल मे शनिदिन देर राति मे एक्के परिवारक दू टा बच्चाक सांप कटला सं मृत्यु भय गेल।

    बताओल जा रहल अछि जे, शनिदिन राति के नौ बजे बच्चा खाना खेलाक बाद घर मे सुतल छल। करीब 11 बजे राति मे बच्चा घर सँ बाहर आबि कय अप्पन माँ स उल्टी हेबाक बात कहलक। करीब एक घंटा बाद परिजन बच्चा के लय क दरभंगा डीएमसीएच गेलाह। जतय बच्चा इलाजक क्रम मे डम तोड़ि देलक।