एमएलएसएममे 13 मई कए विशेष व्याख्यान

    0
    448

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: महाराजा लक्ष्मेश्वर सिंह मेमोरियल महाविद्यालयकें हिंदी विभागक दिस सं 13 मई कए ख्यातिलब्ध हिंदीक कथाकार डॉ. रामधारी सिंह दिवाकर द्वारा समकालीन कथा परिदृश्यमे बिहार विषयक विशेष व्यांख्यान होएत।

    कार्यक्रमक उद्घाटन पूर्व संकाय अध्यक्ष डॉ. किरणशंकर प्रसाद करताह। विशिष्ट अतिथिकें रूपमे मानविकी संकाय अध्यक्ष सह हिंदी विभागाध्यक्ष डॉ. रामचंद्र ठाकुर रहताह। कॉलेजक प्रधानाचार्य व उर्दूकें शायर डॉ. मुस्ताक अहमद समारोहक अध्यक्षता ककरताह।