मुजफ्फरपुरमे डेढ़ करोड़’क विदेशी शराब जब्त

    0
    266

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर मे विशेष पुलिसक टीम बृहस्पति दिन रातिमे ब्रह्मापुरा थाना क्षेत्रक चांदनी चौककें समीप हरियाणा सं आनल जा रहल लगभग चारि सौ कार्टून विदेशी शराब लादल ट्रककें जब्त केलक अछि। मवेशी दानाक बोराकें नीचां शराबक कार्टून नुका कय राखल गेल छल। चालक व खलासीकें गिरफ्तार कय लेल गेल। एसएसपी विवेक कुमार कहलनि जे, जब्त शराबक कीमत डेढ़ करोड़ रुपैया आंकल गेल अछि। पूछताछमे दुनू आरोपीकें पहिचान धर्मवीर व दीपकके रूपमे भेल अछि। दुनू हरियाणाक निवासी बताओल जा रहल अछि।

    दुनू पूछताछमे पुलिसकें बतौलक अछि जे, हरियाणा सं रवींद्र सेठ वाहन लय कय चांदनी चौक जेबाक लेल पठाउने छल। अहिके लेल दुनूकेँ पांच-पांच हजार रुपैया देने छल। आरएस ब्रांडक जब्त सब शराबकें कार्टून पर सेल फॉर हरियाणा लिखल छल। चालक कहलक जे, लोक दुपहर मे चांदनी चौक पर आबिकय रुकल छल।

    मोबाइल पर शराब माफिया सं संपर्क भेल त रातिमे ट्रककें अनलोड करबाक बात कहल गेल अछि। जब्त मोबाइलक कॉल डिटेल्स के बाद अहि बातक खुलासा हेबाक संभावना अछि। ताकि धंधा मे शामिल शराब माफियाक पहचान कय ओकर गिरफ्तारी सुनिश्चत कायल जा सकय। प्रारंभिक जांचमे पता लागल अछि जे, होलीकें लय शराबकें स्टॉक कएल जा रहल अछि।