मनु महराजक नेतृत्व मे पटना एयरपोर्ट सं गायब दूनू कारोबारी युवक बरामद

    0
    394

    पटना, मिथिला मिरर: पटना एयरपोर्ट सं विगत 20 अक्टूबर क लापाता भेल दू गोट युवक के पटना पुलिस बरामद कय लेलक अछि। बताओल जा रहल अछि जे, एसएसपी मनु महराज के नेतृत्व मे पटना पुलिसक विशेष टीम लखीसराय सं मार्वल कारोबारी कपिल आ सुरेश के बरामद केलक अछि। बताओल जा रहल अछि जे, दूनू युवक के कजरा पहाड़ी सं सकुशल बरमाद कायल गेल।

    जानकारी के अनुसार अगवा कायल गेल दूनू व्‍यापारी भाई कपिल शर्मा आ सुरेश शर्मा के मुक्‍त करेबाक के लेल पुलिस अभियान चलाओल गेल छल। अहि क्रम मे पुलिस के सफलता हाथ लागल। पुलिस सूत्रक अनुसार अपहरण मे शामिल बदमाश के सेहो गिरफ्तार कायल गेल अछि।

    अहि सफलता के उपरांत एक बेर फेर एसएसपी मनु महाराजक कार्यशाली आ अद्भुत नेतृत्व क्षमताक चर्चा होबय लागल अछि।