सुशील मोदीकें ‘छपास’ नेता कहलनि कीर्ति आजाद

    0
    388

    दरभंगा मिथिला मिरर: एक दिस भाजपाक वरिष्ठ नेता आ पूर्व उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी लालू परिवारके खिलाफ सबदिन खुलासा कए रहल छथि, ओतहि दोसर दिस भाजपा सं निलंबित सांसद कीर्ति आजादक लालूके प्रति प्रेम बढ़ैत देखा रहल अछि।

    समस्तीपुरमे सांसद कीर्ति आजाद बिहारक चर्चित मिट्टी मॉल घोटाला पर पूछल गेल प्रश्नक जबाबमे कहलनि जे, सुशील मोदीक विषयमे जतेक कम बाजल जाए ओतक बढ़िया। सुशील मोदी बिना तथ्यक बात करैत छथि। ओ छपास नेता छथि आ न्यूज़मे बनल रहबाक आदत छन्हि।

    ओ कहलनि जे, यदि ओ गलत छथि त कार्रवाई हेबाक चाही। हम तेजस्वीकें नीक जेना चिन्हैत छी ओ हमर बेटाक संग क्रिकेट खेलाइत छलाह। क्रिकेटमे बहुत रुपैया भेटैत अछि, आ हमरा नहि लगैत अछि जे, ओ माइट बेचकय कमेबाक कोशिश करताह।