चंदा वसूली’क लेल बिहार विश्वविद्यालय मे दू गुटक बीच रोड़ेबाजी

    0
    263

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुरक बिहार विश्वविद्यालय परिसर बृहस्पति दिन लगातार दोसर दिन अखाड़ा बनल रहल। सरस्वती पूजाक चंदा वसूलीक लय कय दू गोट छात्रावासक छात्रक बीच भेल विवाद जोड़ पकड़ि लेलक।

    विवादक दौरान जमिकय मारी पीट भेल। दूनू दिस सं छात्र एक दोसर छात्रावास पर रोड़ेबाजी केलक, जाहि मे बहुतो छात्र चोटिल भय गेल। हंगामा एतेक बढ़ि गेल जे, बहुतो थानाक पुलिसक संग सिटी एसपी दल-बलक संग मौका पर पहुंच कय हंगामा शांत करौलनि।

    पिछला कैक दिन सं विश्वविद्यालय परिसर मे जबरन चंदा वसूलीक धंधा चलि रहल अछि। बुधदिन गणित विभाग मे चंदा वसूलीक विरोध करबा पर छात्राक संग बदसलूकीक घटना भेल छल। जकर शिकायत विश्वविद्यालय थाना मे कायल गेल छल। लेकिन पुलिसक कार्रवाई नहि भेला पर चंदा वसूलीक घटना नहि रुकल। बृहस्पति दिन छात्र सब के समझेबा मे पुलिसक पसीना छुटि गेल। विवाद और अधिक तहन भेल जहन सामाजिक विज्ञान विभाग मे छात्र परीक्षा दय रहल छल।

    परीक्षा कक्ष मे घुसि कय दबंग छात्र जबरन चंदा वसूलनाई शुरु कय देलक। विश्वविद्यालय पहुंचल सिटी एसपी सब छात्रावास मे जा कय दोषी छात्रक खोज शुरू केलक, मुदा ता धरि दोषी फरार भय चुकल छल। पुलिस हिदायत देलक अछि जे, छात्रावास सं बाहर कियो चंदा वसूलैत पकड़ल गेल त ओकरा गिरफ्तार कय जेल पठा देल जायत।