कर्मी आ भवनक समस्या झेलि रहल अछि पंडौल अंचल कार्यालय

    0
    285

    मधुबनी, मिथिला मिरर: आजादी के 68 साल बादो बिहारक अधिकांशत: सरकारी कार्यालय के दशा मे सुधार नहि भय सकल अछि। एक दिस जतय बुनियादी स्तर पर पंडौल प्रखंडक दर्जनो नवसृजित प्राथमिक विद्यालय सहित दर्जनो मध्य विद्यालय मे भवनक कमी स हजारो छात्र-छात्रा आकाशक नीचां पढ़बाक मजबूर अछि। ओतहि दोसर दिस अंचल कार्यालयक हालत बदतर भय चुकल अछि।

    26 पंचायत, 9 हल्का एवं 75 राजस्व गामक अहि अंचल कार्यालयक हालत एतेक खराब अछि जे, कखन ध्वस्त भय जायत तकर कोनो ठीक नहि। कर्मचारीक दशा त और दयनीय अछि, कार्यालय मे हमेशा कर्मचारीक जानमालक भय बनल रहैत अछि।

    पंडौलक ई अंचल कार्यालय एखनो किरायाक मकान मे चलि रहल अछि। जे वर्षो सं खस्ताहाल मे अछि। भवनक पिछला हिस्सा त और खतरनाक अछि। खंडहर नजरि आबय वला ई मकान अत्यंत क्षतिग्रस्त हालत मे अछि। आसपास पड़ल कूड़ा-कचराक ढेर त स्वच्छ भारत मिशन के मुंह चिढ़ा रहल अछि।